Monday, September 26, 2011

बाबूक खिस्सा - भाग 6 : अकिलक मोल ..........

एकटा राज्य मे वृद्ध राजा छलाह । हुनकर मंत्रीमण्डल मे सबस बेसी दरमाहा एक टा बुढहा मंत्रीजी के छलैन्ह । दरबारक किछु अपेक्षाकृत युवा मंत्रीगण के एकटा बात अखरैत छलैन्ह जे - सबटा काज हम सब करैत छी तैयो हमरा सब के कम दरमाहा आ इ बुढ्हा मंत्री कोनो काज नइ करैत छथि, खाली राजा साहेब लग गप्प दैत रहैत छथिन्ह, तैयो, सबस’ बेसी दरमाहा पबैत छथि संगहि राजा सहेब हुनकर गप्प बेसी मानबो करैत छथिन्ह । अहि बात पर सब दरबारी सब मे घोल-फचक्का होमय लागल । एक दिन सब मिलि क भरल राजदरबार मे अहि प्रश्न के उठौलक..... राजा साहेब बड गम्भीर भय कहलथिन्ह जे काइल्ह अहि हम एकर प्रमाण देब । दरबार खतम भ गेल ।

भोर भेने दरबार लागल । राजा प्रतिवादी युवा मंत्री के आ बुढ्हा मंत्री के अलग अलग कमरा मे बैसा देलथिन्ह । सबस पहिने प्रतिवादी युवा मंत्री के बजेलाह आ कहलखिन जे जाउ आ राजमहल के पछुवार मे नारक टाल छै ओहि मे एकटा पिलिनिया के बच्चा भेल छै कने देखने अबियौ ।

युवा मंत्री गेलाह आ कने काल मे घुमि क वापस एलाह ।

राजा पुछलखिन्ह ‘देखलियै ?’

युवा मंत्री – जी महाराज, ठीके कुक्कूर के बच्चा भेल छै महाराज ।

राजा – काएक टा छै ?

युवा मंत्री – जा से त’ गनबे नहि केलइयै ।

युवा मंत्री फेर दौड क गेलाह आ आबि क’ कहलखिन – महारज तीन टा चितकबरा, दू टा गोला आ एक टा उज्जर छै।

राजा – ओहि मे काएक टा पिलिनिया आ काएक टा पिल्ला छै ?

युवा मंत्री – जा से फरिछा क देखबे नहि केलियै ।

युवा मंत्री फेर दौड क गेलाह आ आबि क कहलखिन – महाराज, पांच टा पिलिनियां आ एक टा पिल्ला छै।

राजा – बिख लगै बला काएक टा छै आ बिना बिख बला काएक टा छै ?

युवा मंत्री फेर दौड क गेलाह आ आबि क कहलखिन – महाराज, तीन टा के बिख लगतै आ तीन टा के बिख नहि लगतै ।

राजा – काएक टा पिल्ला के बिख लगतै आ काएक टा पिलिनिया के बिख लगतै ?

युवा मंत्री फेर दौड क जेबाक लेल बढय लगला त राजा रोकि देलखिन आ कहलखिन बैस जाउ । युवा मंत्री बैस गेलाह ।

तकर बाद राजा बुढहा मंत्री के दरबार मे बजेलाह आ कहलखिन जे मंत्रीजी राजमहल के पछुवार मे जे नारक टाल छै ओहि मे एकटा पिलिनिया के बच्चा भेल छै कने देखने अबियौ ।

बुढहा मंत्री गेलाह आ कने काल मे घुमि क वापस एलाह । राजा पुछलखिन्ह – मंत्री जी देखलियै ?

बुढहा मंत्री – जी महाराज, देखलियै । गोला पिलिनिया के करीब पांच-छ्: दिन पहिने बच्चा भेल हेतैक । तीन टा चितकबरा, दू टा गोला आ एक टा उज्जर रंगक छै । पांच टा पिलिनियां आ एक टा पिल्ला छै। तीन टा के बिख लगतै जै मे दू टा पिल्ला आ एक टा पिलिनिया आ बांकी तीन टा के बिख नहि लगतै । लगैत अछि जे कोनो विदेशी कुक्कूर स अहि पिलिनियां के .........

राजा बीच मे रोकि देलखिन आ दरबारी सब स पुछलखिन जे आहां आब बुझलियै जे बुढहा मंत्रीजी के सबस’ बेसी दरमाहा किएक ? आबो ककरो कोनो कोनो प्रश्न ?

सब दरबारी महाराज के जयकार क उठल आ युवा मंत्री के मूह लटैक गेलैन्ह ....

No comments:

Post a Comment